Why can't I see Devanaagari here?

मैथिली

गजेन्द्र ठाकुर

भाषा आऽ प्रौद्योगिकी (कंप्युटर,छायांकन,कीबोर्ड/टंकणक तकनीक)

प्रथम भागमे देवनागरी लिपिकेँ रोमन टाइपराइटरपर कोन टाइप करी-

पहिने www.bhashaindia.com पर जाकय हिन्दी IME V.5 डाउनलोड करू।

एहि प्रोग्रामकेँ अपना कंप्युटर पर इंस्टॉल करू। फेर कंट्रोल पैनलमे रेजनल आऽ लंग्वेज पर जा कय लंग्वेज टैबकेँ दबाऊ। देखू जे कॉम्प्लेक्स स्क्रिप्ट टिक कएल छैक की नहि।नहि छैकतँ करू आऽ कंप्युटर ताहि लेल जे जे कहैत अछि से करू। एकरा बाद लंग्वेज टैबकेँ आऽ डिटैल्स केँ दबाऊ।फेर ओतय एड क्लिक करू आऽ ओतय लंग्वेज मे हिन्दी आऽ कीबोर्ड मे HINDI INDIC IME 1[V.5.1] सेलेक्ट कय अप्लाइ दबाऊ। कंप्युटरकेँ रीस्टार्ट करू।

आब वर्ड डोक्युमेंट खोलू।बायाँ Alt+Shift केँ एक दू बेर सम्मिलित दबेला उत्तर H कीबोर्ड आयत।अथवा नीचाँ लंग्वेजक़ेँ क्लिक करू आऽ हिन्दी सेलेक्ट करू।कीबोर्डमे हिन्दी transliterationकेँ सेलेक्ट करू।

आब राम टाइप करबा लय raama टाइप करय करत। क् टाइप करबाक हेतु k दबाऊ आऽ माउसक लेफ्ट बटन क्लिक करू, अन्यथा सिफ्ट आकि एंटर दबेला पर हलंत उड़ि जायत।

देवनागरीमे टाइप करबाक हेतु पछिला अंकमे देल सॉफ्टवेयरक अतिरिक्त एकटा आर टूल अछि जे नम्नलिखित लिँक पर उपलब्ध अछि। एकर विशेषता अछि एकर संस्कृत की-बोर्ड जे आन कोनो सॉफ्टवेयर पर उपलब्ध नहि अछि। एहिमे उदात्त,अनुदात्त केर आ’ किछु आन संस्कृतक अक्षर उपलब्ध अछि। एकर बराह दाइरेक्ट आदि रूप सेहो अछि, मुदा जौँ कोनो विशेष प्रयोजन नहि हो तँ मात्र बाराह आइ.एम.ई केर प्रयोग मात्र करी।

स॑ , स॒ , स॓ , सऽ कें स लिखलाक बाद सिफ्ट ३,२,४ आऽ ७ दबेलासँ लिखि सकैत छी।

http://www.baraha.com/BarahaIME.htm

तिरहुता लिपि लिखबाक हेतु एहि लिंक पर जाऊ।

http://www.tirhutalipi.4t.com/

मुदा एकरा हेतु अही लिंक पर जे प्रीति फॉंन्ट छैक तकरा सेहो डाउनलोड करी आ’, दुनू केँ हार्डडिस्क ड्राइव C/windows/fonts मे पेस्ट कए दिय। एहिमे जे फॉन्ट अछि से Ascii मे अछि। क्रुतदेव , शुशा ई सभ फॉण्ट सेहो एहि तरहक अछि, पहिने उपयोगी छल मुदा आब सर्च इंजिनमे यूनिकोड-यू.टी.एफ.8 केर सर्च होइत छैक आ’ Ascii मे लिखल देवनागरीक सर्च नहि भय पबैत अछि। विन्डोजमे मंगल फॉन्ट अबैत छैक, आ’, एहिमे लिखल देवनागरी सर्च भय जाइत अछि। मिथिलाक्षरक यूनीकोड रूपक आवेदन (अंशुमन पाण्डेय द्वारा देल गेल) लंबित अछि।

आब किछु बात यूनीकोड आ’ वेबसाइट केर संबंधमे।

कोनो फाइलकेँ पढ़बाक हेतु कंप्युटरमे आवश्यक फॉंट होयब जरूरी अछि, नहि तँ सभसँ सरल उपाय अछि, वर्ड डोक्युमेंटकेँ पी.डी.एफ. फाइलमे परिवर्त्तित करू। एहिमे नफा नुकसान दुनू अछि। नफा जे बिना कोनो फांटक झंझटिक पी.डी.एफ.फाइल जाइ लिपिमे लिखल गेल अछि, ताहिमे पढ़ल जा’ सकैत अछि। एकर नुकसान जे जखने फाइलमे जा’ कय सेव एज टेक्स्ट करब तँ अंग्रेजीतँ सेव भय जायत, मुदा देवनागरी तेहन सेव होयत जे पढ़ि नहि सकी। दोसर यूनीकोडक मंगलमे टाइप कएल डॉक्युमेंटकेँ एडोब अक्रोबेटसँ पी.डी.एफ.मे परिवर्त्तित करबामे दिक्कत होय तँ संपूर्ण फाइलकेँ खोलि कय सेलेक्ट करू यूनीवर्सल यूनीकोड एम.एस.फांट ड्रॉप डाउन मेनूसँ सेलेक्ट करू फेर प्रिंटमे जा कय प्रिंटर एडोब एक्रोबेट सेलेक्ट करू। आब ई फाइल परिवर्त्तित भय जायत पी. डी. एफ.मे।

आब वेबसाइट बनेबाक पूर्व किछु मुख्य बातकेँ देखि लिय’।

चारि तरहक इंटरनेट ब्राउजर अछि, शेष सभटा एकरा सभकेँ आधार बना कय रचित अछि। तखन सभसँ पहिने ई चारू अपना कंप्युटरमे इंस्टॉल करू.

  1. ओपेरा
  2. मोजिल्ला
  3. माइक्रोसॉफ्टक इंटरनेट एक्सप्लोरर(ई तँ होयबे करत)
  4. आ’ चारिमक बीटा(प्रायोगिक) वर्सन आयल अछि,
  5. एपलक,अखन तक मेकिनटोसक लेल छल ई, सफारी (विंडोजक हेतु)।

आब जखन वेब पेज उपलोद करू वा पहिनहु तँ एहि चारू पर खोलि कय जरूर देखि लिय’।

देवनागरी लिखबामे बराह आइ.एम.ई. केर योगदान विशिष्ट अछि। एहिमे संस्कृतक उदात्त , अनुदात्त आ’ स्वरित केर संगे बिकारी, देवनागरी अंक आ’ संगीतक नोटेशन लिखबाक सुविधा अछि। विदेहक संगीत शिक्षा स्तंभ बिना एकर सहयोगक संभव नहि छल। मंद्र सप्तक, तीव्र आ’ कोमल स्वरक नोटेशन एहिमे अछि। ऋ,ॠ आ’ ऌ,ॡ आ’ ऍ, ऎ अ, ~ हलन्तक बाद अअर जोड्बाक सुविधा एहिमे सुविधा छैक। अनुदात्त क॒ उदात्त क॑ आ’ स्वरित क॓ सेहो उपलब्ध अछि।

ई विस्टामे सेहो कार्य करैत अछि। आ’ यूनीकोड फॉंटमे रहबाक कारण इंटरनेट पर पठनीय अछि। विदेहक सम्मुख पृष्ठ पर देवनागरीसँ संबंधित तीनटा लिंक राखल गेल अछि। पहिल दू टा लिंक पर जानकारीक संग सॉफ्टवेयर डाउंलोडक लिंक अछि। तेसर लिंक पर ऑनलाइन ताइपिंगक सुविधा अछि, एतय टाइप क’ कय कॉपी कय वर्ड डोक्युमेंटमे पेस्ट कए सकैत छी किंवा ईमेलमे सोझे टाइप केलाक बदला एतयसँ कॉपी कय पेस्ट कए सकैत छी।

(अनुवर्तते)
देवनागरी